Breaking News :

बाबरी विध्वंस पर 28 साल बाद आया फैसला, आडवाणी, जोशी, उमा भारती सहित सभी आरोपी बरी

बिहार विधानसभा चुनाव के लिए मेनू कार्ड जारी, रसगुल्ला 15 तो समोसा 8 रुपये का

बाबरी मस्जिद विध्वंस केस: 28 साल बाद आज आएगा फैसला, आडवाणी, उमा भारती सहित 49 आरोपी

महागठबंधन में लगभग फाइनल हो गई सीट शेयरिंग, जानें RJD और कांग्रेस को मिली कितनी सीटें!

नीतीश के JDU में टिकट पाने को लेकर ‘मारामारी’, एक सीट पर 30 दावेदार

देश की पहली रैपिड रेल का FIRST LOOK जारी, 180 KM प्रतिघंटा होगी रफ्तार

लीजेंड सिंगर एसपी बालासुब्रमण्यम का निधन, 40 हज़ार से अधिक गानों में दी अपनी आवाज

हो गया बिहार विधानसभा चुनाव का ऐलान, जानिए कब और कितने चरणों में होगा चुनाव

कृषि बिल के खिलाफ चक्का जाम, पंजाब में रेलवे ट्रैक पर डटे आंदोलनकारी, कई ट्रेन प्रभावित

शुरू होने से पहले ही विवादों में घिरी दरभंगा हवाई सेवा, Spice Jet ने की धोखाधड़ी

1-Oct-2020

दरभंगा-मधुबनी सहित 27 गोट रेलवे पूछताछ काउंटर पर होएत निजी एजेंसीकें अधिकार


समाचार मिथिला, दरभंगा: दरभंगा स्टेशनक पूछताछ काउंटरकें आब रेलवे निजी एजेंसीक हाथ सौंपबाक निर्णय लेलक अछि। आब अहि काउंटर पर रेलवेक कर्मी द्वारा जानकारी उपलब्ध नहि कराओल जाएत। आब एतय ठेका लेबय वला कंपनीक प्रतिनिधि यात्रीकेँ यात्रा सॅ सम्बंधित जानकारी सं अवगत करौताह। बताओल जा रहल अछि जे समस्तीपुर रेल मंडलक दरभंगा स्टेशन सहित जयनगर, मधुबनी, सकरी, लहेरियासराय, हायाघाट, समस्तीपुर, जनकपुर रोड, नरकटियागंज, मोतिहारी, बेतिया, रक्सौल, बैरगनिया, सीतामढ़ी, सहरसा, बनमनखी, बख्तियापुर, रोसड़ा घाट, सुगौली सहित 27 स्टेशनक पूछताछ काउंटरकें निजीकरण कएल जाएत।

रेलवे अहि काजकें ‘बेवटेक इंटरनेशनल प्राइवेट लिमिटेड’ कंपनी के सौंप देलक अछि। अहि सँ रेलवेक टीसीकें आब काउंटर सँ मुक्ति भेटि जाएत। काउंटर पर नियुक्त प्रतिनिधिकें रेलवे द्वारा पहिने प्रशिक्षण मुहैया कराओल जाएत। फिलहाल रेलवे काउंटर पर तैनात होबय वला कर्मिक नाम, पता आ मोबाइल नंबर मंगलक अछि। बताओल जा रहल अछि जे तैनात कर्मी यात्री सं सरल व्यवहार करबाक लेल बाध्य रहताह। ई व्यवस्था पूर्ण रूप सं कॉल सेंटर्स जेना चलाओल जाएत।